29 कोइ नै आपन देहके घिरना करैछै, महज ओकर पालन-पोसन करैछै, जहिनङ खिरिस्ट आपन मन्डलीके लेल करल्कै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसबके देख। नै त उसब छिटैछै, नै कटनी करैछै, नै बखारीमे अन राखैछै, महज तैयो स्वरगके पिता ओइसबके खियाबैछै। कि तुसब ओइसबसे बेसी मोलके नै चिही?
उसब मुरुख भेलछै आ करबै कैहके कहल बात पुरा नै करैछै। उसब दोसरके परेम आ दया नै करैछै।
तैहनङे घरोबलासब आपन-आपन घरबालीसबके आपने देह जखा परेम करे परैछै। आपन घरबालीके परेम करैबला आपनेके परेम करैछै।
कथिलेत अपनासब ओकर देहके अङसब चियै।
पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहैलेल लोक आपन बाप-महताइर छोइरके आपन घरबालीसङे एक हैछै आ उ दुनु मिलके एके देह हैछै।”