येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
वह्या पानी बप्तिस्माके एकटा रुप चियै, जे तोरासबके बचाबैछौ। यि देहके मैल उगारनाइ नै चियै, महज सुध बिबेकसे परमेस्वरमे करलगेल समरपनता चियै। यि मिरतुसे भेल येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे तोरासबके बचाइछौ।
येसु खिरिस्ट वह्या चियै जे पानी आ लहुसे एलै। उ पानीसे मातरे नै महज पानी आ लहुसे एलै। यि बात सत छै कैहके पबितर आत्मा साक्छी छै, कथिलेकी पबितर आत्मा सत चियै।