23 कथिलेत घरबला घरबालीके सिर चियै, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके सिर चियै, जे मन्डली ओकर देह आ उ स्वयम मन्डलीके मुक्ती दैबला चियै।
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
कोइ कहैछै, “भोजन पेटके लेल आ पेट भोजनके लेल चियै।” महज परमेस्वर दुनुके नास करतै। लोकके देह बेबिचारके लेल नै, महज परभुके लेल चियै आ देहके लेल आबस्यक चिज परभुवे बन्दोबस करैछै।
बरु परेमसे सत बाइजके सब बातमे अपनासब खिरिस्टे जखा हेब्ही, कथिलेत वह्या अपनासबके सिर चियौ।
जहिनङे मन्डली खिरिस्टके अधिनमे छै, तहिनङे घरबालीयोसब, सब बातमे आपन-आपन घरबलासबके अधिनमे रहे।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।
तुसब त परमेस्वरके बेटा येसु जे स्वरगसे एतै कैहके बाट ताइकरहलचिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै उ येसु चियै। परमेस्वरसे आबैबला करोधसे अपनासबके बचाइबला ओह्या चियै।
हमसब आनन्द मना आ खुसी हो! ओकर जयजयकार कर! कथिलेत थुमाके बियाहके दिन चैलएल छै आ ओकर कनिया आपनेके तैयार करने छै!
उसब अनङ कहैत एकटा लया गित गाबल्कै, “यि कागतके मुठा लैले आ अकर लाहटके तोरेके योग्य अहाँ मातरे चियै, अहाँ मारल गेलियै आ आपन लहुसे अहाँ परमेस्वरके लेल सब कुल, भसा, जाती आ देसके लोकसबके छुटकरा देलियै।