अहैलेल हे हमर पिरिय सङीसब, परमेस्वर अपनासबके देल यि परतिग्या अनुसार देह आ आत्माके असुध बनाबैबला हर किसिमके बातसे अपनासब दुरे रह आ परमेस्वरके डर मानैत औरो पबितर हैत चल।
तोरासबके अगुवासबके कहल बात तुसब मान आ ओकरासबके अधिनमे रह। आपन कामके लेखा परमेस्वरके दैलेपरतै कैहके उसब तोरासबके आत्मामे देखभाल करतौ। ओकरासबके कहल बात मानबिही त उसब आपन काम खुसिसे करतौ। यदि दुख माइनके करबिही त तोरासबके कुछो फाइदा नै हेतौ।