12 कथिलेत यि लोकसब घोसैरके करल कामसबके बारेमे कहैयोले सरमके बात चियै।
यि बातसब ओइ दिन हेतै जै दिन परमेस्वर हमर करल सुसमाचार परचार अनुसार येसु खिरिस्ट दुवारा लोकसबके हिरदयमे रहल गुप्त बातसबके नियाय करतै।
अन्हारमे काम नै लागैबला कामसबमे सहभागी नै हो। बरु उ काम खराब छै कैहके देख्यादहै।
जब कोनो बात इजोतमे आबैछै, तब ओइसबके असली रुप परकट हैछै।
खिरिस्टके पबितर जनसब भेलासे तोरासबके बिचमे बेबिचार, सब किसिमके असुध बात आ लोभ-लालचके नाम लैले नै सुहाबैछै।
तुसब बितलहा दिनसबमे गैर-यहुदी जखा निरलज बेबहार करनाइ, बेबिचारमे लिन, खराब अभिलासामे लगनाइ, पिके मातल, मोज-मज्जा करैबला आ घिरनित मुरतिपुजामे परसस्त समय बिताइलिही।
हम बरका आ छोटका सब मरलसबके सिंहासनके सामने ठारभेल देखलियै आ किताबसब खोलल्कै। दोसर किताब खोलल्कै, जे जिबनके किताब छेलै। उ किताबमे लिखल अनुसार, ओकरासबके काम अनुसार मरलसबके नियाइ भेलै।