येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
येसु ओइसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम आपने बारेमे गबाही दैचियै, तैयो हमर गबाही सुइकारे जोकर छै। कथिलेत हम जानैचियै कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै, महज तुसब यि बात नै जानैचिही कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै।