7 महज खिरिस्ट आपन अनुगरहके बरदान त आपन नाप अनुसार सब कोइके देनेछै।
धनिक लोक ओइसबको खुबि अनुसार एकटा नोकरके पाँचटा, दोसरके दुइटा आ तेसरके एकटा सोनाके डलर जिमा द्याके उ परदेस चैलगेलै।
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ कि, तुसब आपनके बरका नै समझ महज परमेस्वरके देल बिस्बासके नाप अनुसार तुसब जहिनङ चिही तहिनङे सोच।
हमसब परमेस्वरसङे काम करैबलासब भेलाके कारन तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि परमेस्वरसे भेटल अनुगरहके बेरथमे जाइले नै दहै।
तोरासबके लेल हम परमेस्वरके अनुगरहके काम करैले जिम्मा पाबनेचियै से बात तुसब सुन्नेचिही।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।
परमेस्वर तोरासबके किसिम-किसिमके बरदान देनेछौ। एक दोसरके सेबा करैके लेल देल यि बरदानके पुरा सदउपयोग कर।