26 तोरासबके रिसो उठतौ त, पाप नै कर। सुरुज डुगैसे पैहनैये तोरासबके रिस मैर जेबाके चाही।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
तब यि देखके येसु खिस्याके आपन चेलासबके हपारल्कै आ कहल्कै, “छोट बच्चासबके हमरलग आबैले नै रोकै, कथिलेत परमेस्वरके राज ओहनेसबके चियै।
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यि बात तोरौरके जान। सुनैमे जल्दी, बाजैमे अस्थिर, तामसमे कम हैलेपरतै।
कथिलेत लोकके तामससे परमेस्वरके धारमिकता नै आनैछै।