हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके यि बात कहैले चाहैचियौ, कि मासु आ लहुसे बनल अपनासबके देह परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै। तहिनङे नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहके हकदार हैले नै सक्तै।
हम तोरा परमेस्वर, खिरिस्ट येसु आ चुनलगेल स्वरगदुतके अगा करा आग्या द्याके यि कहैचियौ कि भेदभाव बिना यि नियमसब पालन कर। पक्छपात कैरके कोनो काम नै कर।
परमेस्वर आ खिरिस्ट येसुके अगा, जे आपन राज अस्थापना करैले एतै आ उ जियल आ मरल सबके नियाय करतै, तै बातके धियानमे राइखके हम तोरा करा आग्या दैत कहैचियौ कि