15 बरु परेमसे सत बाइजके सब बातमे अपनासब खिरिस्टे जखा हेब्ही, कथिलेत वह्या अपनासबके सिर चियौ।
नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्कै, “देख, उ पक्के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
तोरासबके परेम देखाबटी नै महज सत हेबे। खराब काम छोइरके असल काममे लागल रह।
महज तोरासबके यि बात थाह हेबे कि खिरिस्ट हरेक मानबके सिर चियै। तहिनङे घरबला आपन घरबालीके सिर चियै आ परमेस्वर खिरिस्टके सिर चियै।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
हम यि आग्याके रुपमे नै महज औरोसबके जोससङे तुलना कैरके तोरासबके परेम साँचो चियौ कैहके परमानित करैके लेल हम यि कहलियौ।
परमेस्वर सब बात खिरिस्टके अधिनमे राइखदेनेछै आ मन्डलीके लेल सब बातके सिर बनाइनेछै।
उ सन्सार सिरिस्टी करैसे पैहनिए खिरिस्टमे अपनासबके आपन अगा पबितर आ निरदोस करैले छान्ने छेलै।
ओह्या पुरे घरके थाइम्हके राखनेछै आ उ यि घरके परभुमे एकटा पबितर मन्दिर बनाबितेछै।
अहै खातिर आब झुठ बाजैले छोइरदहै। एक-दोसरसङे सच-सच बोल कथिलेत अपनासब सबगोरा खिरिस्टके देहके अङसब चियै।
कथिलेत घरबला घरबालीके सिर चियै, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके सिर चियै, जे मन्डली ओकर देह आ उ स्वयम मन्डलीके मुक्ती दैबला चियै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
भरखरे जलमल बच्चासब दुधके चाहना करल जखा तुहुसब सुध आत्मिक बचनके लेल पियासल रह। वेहन करैत जेब्ही त तुसब मुक्तीमे बरहैत जेब्ही।
महज अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनुगरह आ ग्यानमे बरहैत जो। ओकर महिमा अखैन आ सबदिन हेबे। आमेन।
हे हमर धियापुतासब, अपनासब खाली मुह आ बातसे मातरे परेम नै कर, महज अपनासब काम आ सत्यतासे परेम करैजो।