11 वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
दोसर दिन बिहान बिदा भ्याके कैसरिया सहरमे एलियै आ सुसमाचार परचारक फिलिपके घरमे रहलियै। खाना बटैबला काममे परेरितसब सेबा करैले छानल्हा सात गोरे मेसे एकगोरा फिलिपो छेलै।
जकरसङे सेबा करैबला बरदान छै त, उ सेबाके काम करे, जकरसङे सिक्छा दैबला बरदान छै त, उ निकसे सिक्छा दैबला काम करे।
पबितर आत्माके बरदानसब बहौत किसिमके छै, महज बरदान दैबला पबितर आत्मा एके चियै।
परेरित आ अगमबक्तासबके खुनल जगमे बनल घर तुसब चिही। यि जगके मुल खम्हा येसु खिरिस्ट आपने चियै।
पहिने यि रहसके बात औरो कोनो लोकके थाह नै देनेरहै, महज अखुन यि रहसके बात आपन पबितर परेरित आ अगमबक्तासबके परमेस्वर आपन पबितर आत्मासे परकट कैरदेनेछै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “उ उच जगहमे जाइबखत बहौत कैदीसबके आपनसङे ल्यागेलै आ लोकसबके उपहारसब देल्कै।”
महज तु हर परिस्थितीमे सचेत रह, दुख उठा, सुसमाचार सुनाइबला काममे लागल रह आ आपन सेबाके काम-काज पुरा कर।
तोरासबके बिस्बास करला अतहेक दिन भेलछौ कि तुसब सिक्छक भ्याजेबाके चाही, महज अखुनो तोरासबके कोइ कोइ परमेस्वरके बचनके छोट छोट बात सिखाबे परलछै। तोरासबके ठोस भोजन नै, बल्की बच्चा जखा दुधके आबसेक्ताछौ।
महज, हे पिरिय भाइ-भैयासब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके परेरितसबके पहिने कहलहा बातसब याद कर।
हे स्वरगमे भेल्हासब, उ सहर नास भेलासे खुस हो। हे परमेस्वरके पबितर जनसब, परेरितसब आ अगमबक्तासब सबकोइ आनन्द मना! कथिलेत तोरासबके सताबैके कारन परमेस्वर ओकर नियाय करने छै।
ओइ सहरके देबालके बारहटा जग छेलै आ ओइमे थुमाके बारह परेरितसबके नाम लिखल छेलै।