6 उ रहसके बात एह्या चियै कि, गैर-यहुदीयोसब सुसमाचारसे परमेस्वरके आसिस पाबैले सक्तै। उसब एक देहके अङसब आ खिरिस्ट येसुमे परमेस्वरके करल परतिग्याके साझेदार भेल छै।
जहिनङे देह एकेटा छै आ ओइमे अङसब बहौत छै, महज अलग-अलग अङसब मिलके पुरे देह बनैछै। खिरिस्टके देह ओहिनङे छै।
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, तुसब खिरिस्टके देह चिही आ हरेक बिस्बासी उ देहके अङसब चिही।
अहैसे अबराहमके देल आसिस खिरिस्ट येसुसे औरो जातीके लोकसबके मिलैछै आ परमेस्वरके परतिग्या करल पबितर आत्मा अपनासब बिस्बाससे पाबैले सकैचियै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
परमेस्वर आपन भितरी योजना हमरा परकट करने छै। अकर बारेमे हम तोरासबके पैहनिए छोटकरीमे लिखने चियौ।
कथिलेत अपनासब ओकर देहके अङसब चियै।
तै खातिर एहेन लोकसबके सङगते नै कर।
अहिनङ यिसब त आपन सिर, जे खिरिस्ट चियै, ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राखैछै। खिरिस्ट देहके सिर चियै जे पुरे देहके हटाकटा बनाबैछै, एहैन कैरके देह, गिरह-गिरह आ नसा-नसासब जुटैत परमेस्वरेके योजना अनुसार बरहैत-बरहैत जाइछै।
हमसब जे देखने आ सुन्ने चियै, से हमसब तोरासबके सुनाबैचियौ जेकि तुहुसब हमरासबसङे सङगती करेसकी। अपनासबके सङगती त पिता आ ओकर बेटा येसु खिरिस्टसङे छै।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।