18 तब तुहुसब खिरिस्टके पबितर लोकसबसङे खिरिस्टके परेमके लम्बा, चौरा, उच आ गैहर कतहेक छै, से बात बुझैले सकबिही।
साथि-सङीके लेल आपन परान देनाइसे बरका परेम औरो किछो नै छै।
कथिलेत परमेस्वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्बे नै करैछेलै, तैल्याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्कै।
अते भेल परमेस्वरके जनसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
समयमे पुरा भेलाके बाद स्वरग आ पिरथिबीमे सिरिस्टी भेल्हा सब चिज खिरिस्टके अधिनमे आबे।
अहैकारनसे परभु येसुमे करल बिस्बास आ खिरिस्टके पबितर जनसबमे तोरासबके परेम सुइनके,
ग्यान आ बुइधसे बुझैले नै सकैबला खिरिस्टके परेमके बुझैले सक आ तुसब परमेस्वरके सारा सक्तीसे भरपुर हैले सक कैहके हम परथना करैचियौ।
कथिलेत हमसब परभु येसु खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास आ ओकर सब पबितर लोकसबके करल तोहर परेमके बारेमे सुन्नेचियौ।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’