14 अहै खातिर हम परमेस्वर पिताके अगा ठेङहुनिया द्याके परथना करैचियौ।
तब येसु ओइसबसे कन्हिक दुर गेलै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करे लाग्लै,
तब पावल अतबेहेक कैहके ठेङहुनिया मारल्कै आ सबकोइ मिलके परथना करल्कै।
जब जाइबला समय आइबगेलै तब हमसब बिदा भ्याके आपन रस्तामे अगा बरहलियै। चेलासब आपन घरबाली आ बाल-बच्चाकेसङे हमरासबके अरियातैले नगर बाहरतक एलै। हमसब समुन्दरके पखामे ठेङहुनिया द्याके परथना करलियै।
उ ठेङहुनिया द्याके जोरसे कहल्कै, “हे परभु, यि पापके दोस अकरौरके नै लागे।” अतहेक कहलाके बाद ओकर परान छुइटगेलै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता परमेस्वरके धन्यबाद हेबे। उ अपनासबके खिरिस्टमे स्वरगिय ठामसबमे सब आत्मिक आसिस देने छै।
ओकरेसे स्वरग आ पिरथिबीमे भेल सब परिबार जिबन पाबैछै।
चाहे स्वरगमे, पिरथिबी उपर आ पिरथिबीके निचा हेबे, सबकोइ येसुके नाउमे ठेङहुनिया दैलेपरतै।