12 येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन हमसब साहस आ भरोसाके साथ परमेस्वरके अगा आबैले पाबैचियै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।
खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै।
तुसब हमरासबके चिठी चिही से हमसब कैह सकैचियौ, कथिलेकी खिरिस्टसे परमेस्वरमे हमरासबके पुरा भरोसा छै।
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।
अहैलेल तुसब आपन यि भरोसा नै तियाग। तोरासबके अकर बरका इनाम मिल्तौ।
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
हे हमर पिरिय सङिसब, आपने मन अपनासबके दोसी नै ठहराइतौ त अपनासबके परमेस्वरके अगा जाइले साहस एतौ।