6 परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टसङे जिबित कराइल्कौ आ ओकरेसङे स्वरगिय ठामसबमे राज करैले देल्कौ।
हम तोरासबके कहैचियौ जाबेतक परमेस्वरके राजमे हम नै एबै ताबे तक लबका अङगुरके मध नै पिबौ।”
उ नोकरसब धैनके चियै, जब मालिक घर आबैछै त उसबके जागल देखैछै। साच्चे हम तोरासबके कहिचियौ, उ आपन डाँर कैसके ओकरासबके खियाइले बैठेतै आ आइबके सेबा करतै।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टके परेरित, एफिसस सहरमे रहैबला आ येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला पबितर लोकसबके यि चिठी लिखैचियौ।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता परमेस्वरके धन्यबाद हेबे। उ अपनासबके खिरिस्टमे स्वरगिय ठामसबमे सब आत्मिक आसिस देने छै।
कथिलेत हमसब असल कामसबके लेल खिरिस्ट येसुमे सिरिस्टी भ्याल ओकर हाथके सिप चियै। ओह्या अनुसार अपनासब चल कैहके उ पहिनेसे तयार करने रहै।
महज तुसब, जे ओइ बखत परमेस्वरसे दुर छेल्ही, आब खिरिस्ट कुरूसमे बह्याल लहुसे नजदिक भेलचिही।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।