16 आ दुइ जाती बिचके दुस्मनी नास करैले आ एक जाती बनाइले परमेस्वरसङे मेल कराइले उ कुरूसमे बलिदान भेलै।
कथिलेत अपनासब परमेस्वरके सतरु भेल बखत ओकर बेटाके मिरतु दुवारा अपनासबके आपनसङे मिलापमे आनल्कै। अपनासब ओकर सङी भेलाके कारनसे उ आपन बेटाके जिबनसे अपनासबके बचाइतै।
हमसब यि जानैचियै कि अपनासबके पुरन्का स्वभाब ओकरसङे कुरूसमे टाङलगेलछै, ताकी अपनासबके पापी स्वभाब नास हेबे आ आबसे पापके दास नै हेबी।
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
पाप स्वभाबके इक्छामे चलैबला लोक परमेस्वरके बिरोधी रहैछै, कथिलेत उसब परमेस्वरके बेबस्था पालन नै करैछै आ करैयोले नै सकैछै।
रोटी एकेटा छै आ हमसब बहुतो गोरे चियै तैयो एके देह चियै, कथिलेत हमसब एकेटा रोटीसे खाइचियै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
उ यहुदी आ गैर-यहुदीसबके सान्ती दैले आ ओकरमे लबका जाती बनाइले कुरूसमे मैरके बेबस्था आ नियमके रध करल्कै,
उ रहसके बात एह्या चियै कि, गैर-यहुदीयोसब सुसमाचारसे परमेस्वरके आसिस पाबैले सक्तै। उसब एक देहके अङसब आ खिरिस्ट येसुमे परमेस्वरके करल परतिग्याके साझेदार भेल छै।
देह एके चियै आ पबितर आत्मो एके चियै। तहिनङ तोरासबके एके आसामे बोलाइनेछौ।
उ अपनासबके बिरोधमे लिखल सब तमसुक आ दाबीसब सङे रद कैरदेल्कै आ कुरूसमे किला ठोइकके नास कैरदेल्कै।
खिरिस्टके सान्तीके तुसब आपन हिरदयमे राज करैले दहै। एह्या सान्तीके खातिर परमेस्वर तोरासबके एके देहमे बोलाइनेछौ। यि बातमे तुसब धन्यबादी बन।