8 एह्या अनुगरह उ अपनासबके उपर परसस्त कैरके देनेछै।
मानबके बेटा खाइत-पियैत एलौ, तब तुसब कहैचिही, ‘देख, एकटा खाधुस, पियक्कर, बटी उठाइबलासब आ पापीसबके सङी!’ महज परमेस्वरके बुइध असल छै, से बात ओकर कामेसे परमानित हैछै।”
आहा! परमेस्वरके धन, ग्यान आ बुधि कतहेक महान छै! ओकर निरनय करल बातके बखान कोइ नै करैले सकैछै। ओकर काम करैबला तरिका कोइ नै बुझैले सकैछै।
परमेस्वरके फोक्टेके बरदान आदमके पाप जखा नै चियै। कथिलेत एकटा लोक आदमके पापके कारनसे बहुत लोक मरलै। महज एकटा लोक येसु खिरिस्टके बरदान दुवारा परमेस्वर बहुतो लोकके औरो बेसिसे अनुगरह देल्कै।
महज हमसब त परमेस्वरके गुप्त आ घोसारल ग्यानके परचार करैचियै, जे सिरिस्टी हैसे पैहनिए परमेस्वर अपनासबके महिमाके खातिर नियुक्त करने छेलै।
कथिलेत सब बात परमेस्वरके योजना आ इक्छा अनुसार भेलछै। परमेस्वर अपनासबके आपन खुसिसे खिरिस्टमे छानल्कै। यि बात उ पहिनेसे करल योजना अनुसार भेल छेलै।
ओकर महान अनुगरह अनुसार खिरिस्ट आपन लहु बहेलासे अपनासब उधार आ पाप छमा पाबनेचियै।
ओकरे सब ग्यान आ बुइधमे परमेस्वर खिरिस्टमे पुरा करबै कैहके सोचलहा गुप्त योजनो अपनासबके देखाइल्कै।
अहिनङके मन्डलीसे परमेस्वरके सब किसिमके ग्यान स्वरगके ठामसबके सासकसब आ अधिकारीसबके बिचमे परकट करे।
ओकरेमे परमेस्वरके सब ग्यान आ बुइधके सारा सम्पतीके भन्डारछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा, अपनासबके मुक्ती दैबला एक मातरे परमेस्वरके सब आदर, महिमा, सक्ती आ अधिकार जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।
उसब जोरसे अनङ कहैछेलै, “बलीके रुपमे मारलगेल थुमा अधिकार, धन, बुइध, बल, मान, आदर आ इस्तुती पाबैके योग्यके चियै!”