6 अपनासब परमेस्वरके ओकर महिमामय अनुगरहके लेल धन्याबाद चरहा जे मङनिएमे आपन पिरिय बेटामे देनेछै।
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
तब पाँच बजे काम सुरु करैबलासबके पैहने बोल्याके सबके एक दिन बराबरके बैन देल्कै।
तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै।”
“स्वरगमे परमेस्वरके महिमा आ पिरथिबीमे जै लोकसबसे परमेस्वर खुसीछै, ओकरासबके सान्ती।”
“पिता हमरा अहैलेल परेम करैछै, कथिलेत हम आपन परान फेनसे फिरता लेबै कैहके दैचियै।
परमेस्वर आपन बेटाके परेम करैछै आ सब चिज ओकरे हाथमे राइखदेनेछै।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
यि सब तोरेसबके हितके लेल भेल छै, कथिलेकी जतेक बहुत लोकसब परमेस्वरके अनुगरह पाबतै ओतेक बहुत परमेस्वरके महिमाके लेल ओकरा धन्यबाद दैबला काम हेतै।
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
महिमामय परमेस्वरके परतिग्या करल पुरा मुक्ती नै पाबैतक पबितर आत्मा बैना जखा चियै। आब अपनासब ओकरा परसन्सा करु।
हम एहो परथना करैचियौ कि, तोरासबके हिरदयके आँख खुले आ कोन आसाके लेल उ तोरासबके बोलेल्कौ आ पबितर जनसबमे ओकर महिमीत उतराधिकारके सम्पैत कि चियै, से तुसब जानैले सक।
यि काम परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टमे करल असिम अनुगरह कतेक महान छै कैहके आबैबला सब दिनमे देखाइके लेल करल्कै।
परमेस्वरके महिमा आ परसन्साके लेल येसु खिरिस्टसे आबैबला धारमिकताके फलसे तुसब भरिभराउ हो।
ताकी पुरा रुपसे हम ओकरमे एक भ्यासकी। बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके अगा हम धरमी हैले नै सक्बै महज आब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे परमेस्वरे हमरा धरमी ठहराइल्कै। यि धारमिकता बिस्बासमे अरल छै।
हमर परमेस्वर तोरासबके सब आबसेक्तासब पुरा कैरदेतौ। खिरिस्ट येसुमे भेल असिम भन्डारसे तोरासबके आबसेक्ता परल सबचिज पुरा कैरदेतौ।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।