7 हमर पिरिय भाइ तुखिकस हमर सब खबर तोरासबके सुनाइतौ। ओहो आपनेसबसङे सेबा करैबला परभुके बिस्बासी सेबक चियै।
तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
आपनसबके भाइ, इपाफोरोडिटसके हम तोरासबलग पठाबैके आबसेक देखलियै। हमसब दुनु सङे-सङे काम करलियै आ सुसमाचार सुनाइबला काममे दुख भोगलियै। उ तोरेसबके दुत चियौ, जकरा हमर सहायताके लेल तुसब पठाइने छेल्ही।
एह्या बात अपनासबके सङे-सङे सेबा करैबला इपाफरास तोरासबके सिखाइल्कौ। उ हमरासबके बदलामे तोरासबके बिचमे खिरिस्टके सेबा करैबला बिस्बासयोग्य भाइ चियै।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
ओकरसङे ओनेसिमस सेहो आइबरहलछौ जे तोरेसबमेसे एकटा बिस्बासी आ पिरिय चियौ। उ दुनुगोरा अतेका सब हालखबर तोरासबके सुनाइतौ।
हम तुखिकसके एफिससमे पठाइनेचियै।
जब हम, अरतिमास या त तुखिकसके तोहरलग पठेबौ, तु हमरा जल्दीसे भेटैले निकोपोलिस सहरमे आबिहे। कथिलेकी जार मास हम ओतै बिताबैके इक्छा कैने चियै।