3 खिरिस्टके रहसके बात लोकसबके परचार करैले परमेस्वर केबार उघाइरदेबे कैहके हमरासबके लेल सेहो परथना कर। अहै रहसके परचार करैके कारनसे हम जहलमे परल चियै।
उ आपन चेलासबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके त स्वरगके राजके भितरी भेद जानैले देने छौ, महज ओकरासबके नै देने छै।
बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
आब अपनासबके परमेस्वरके आदर आ सम्मान हेबे। हमर करल खिरिस्टके सुसमाचार परचारसे उ तोरासबके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकलछै। येसु खिरिस्टके बारेमे हमर करल परचार, जे जुगो-जुगसे घोसाइरके राखल छेलै, आब परकट भेलछै।
हमर बिरोध करैबलासब बहुतो भेलोपरभी परभाबसाली कामके लेल एकटा बरका केबार हमर लेल खुइल गेलछै।
तुसब हमरासबके खिरिस्टके सेबकसब आ परमेस्वरके रहसके बात परकट करैबला सम्झैले परतौ।
जब हम तरोआस सहरमे खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैले एलियै तब परभु हमर लेल दुवार खोइलदेने छेलै।
तैखातिर हम पावल, तु गैर-यहुदीसबके खातिर खिरिस्ट येसुके सुसमाचार सुनाइबला काम करैबखत जहलमे परलचियै।
परमेस्वर आपन भितरी योजना हमरा परकट करने छै। अकर बारेमे हम तोरासबके पैहनिए छोटकरीमे लिखने चियौ।
हमर लिखल बात परबिही त, हम खिरिस्टके रहसके बात कतहेक बुझने चियै से बात तोरासबके मालुम हेतौ।
सब चिजके सिरिस्टी करैबला परमेस्वरमे जुगो-जुगतक घोसाइरके राखल रहसके योजना कि चियै, से बात सबलोकके खुलस्त रुपमे बताइबला काम हमरा देने छै।
ओहैसे हम परभुके सेबा करैबला कैदी, तोरासबके बिन्ती करैचियौ, कि जे बोलाबटमे परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ तै अनुसारके जिबन बिता।
कथिलेत हमरा थाहछै, कि तोरासबके परथनासे आ येसु खिरिस्टके आत्माके मदतसे हम छुटकरा पाब्बै।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
यि बात जुगो-जुग आ पुस्तो-पुस्ताके लोकसब बुझैले नै सकल छेलै महज आब उ खिरिस्टके पबितर जनसबके परकट कैरदेनेछै।
हम पावल, यि गोरलगी आपने हाथसे लिखैचियौ। हम जहलमे परलचियौ से बात नै बिसर। परमेस्वरके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
भाइसब, हमरोसबके लेल परथना करैतरह।
परभु ओनेसिफरसके घरानाके किरपा राखे, कथिलेत उ हमरा जतेक बेर भेटै ततेक बेर हौसला बरहाइत रहै। हमर हाथमे जंनजिर बान्हल छेलै तैयो उ लाज नै मानल्कै।
ओह्या सुसमाचार जकर खातिर हम दुख काटैचियै आ अपराधी जखा झिझिरसे बान्हल चियै। महज परमेस्वरके बचनके बान्हे नै सक्तै।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।
दोसर बात यि चियै कि हमर लेल एकटा कोठली तयार कैरके राखने रहिये, कथिलेकी तोहर परथनाके कारनसे हम्हु तोहर लग आबैके आसा करनेचियै।