2 तुसब सचेत भ्याके धन्यबादी हिरदयके साथ परथनामे लागल रह।
जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना करैतरह। आत्मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
तै खातिर होसियार भ्याके जालग रह आ परथना करैतरह! कथिलेत उ बखत कखनी एतौ से तुसब नै जानैचिही।
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
ओइमेसे कतहेक छौरी-मौगी आ येसुके माँ मरियम आ ओकर भाइसब सङे उसब एके मनके भ्याके लगातार परथना करैतरहै।
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
तैखातिर हमसब यि बात जहियासे सुन्नेचियै तहियेसे तोरासबके खातिर हरदम परथना करैत आइबरहलचियौ। पबितर आत्मासे मिलल पुरा आत्मिक ग्यान आ समझसे परमेस्वरके पुरा इक्छा जानैले सक कैहके हमरासबके परथना छै।
तुसब आपन बिस्बासके जैर ओकरमे गैहरतक गारने रह आ ओकरसङे आपन समबन्ध बलगर बनाइत जो। तोरासबके भेटल सिक्छा अनुसार बिस्बासमे अस्थिर भ्याके ओकरा धन्यबाद दैतरह।
खिरिस्टके सान्तीके तुसब आपन हिरदयमे राज करैले दहै। एह्या सान्तीके खातिर परमेस्वर तोरासबके एके देहमे बोलाइनेछौ। यि बातमे तुसब धन्यबादी बन।
तुसब किछो कहबिही तैयो, किछो करबिही तैयो सब बात परभु येसुके नाममे कर तब ओकरेसे परमेस्वर पिताके धन्यबाद चरहा।
तोरासबके एकटा भाइ, खिरिस्ट येसुके दास इपाफरास सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। उ तोरासबके खातिर हरदम जोरतोरसे परथनामे सम्झैत रहैछौ ताकी तुसब बलगर हो आ परमेस्वरके सब इक्छा पुरा रुपसे मानैले सक।
सब चिजके अन्त हैके समय चैल एलछै। ओहैसे तुसब आपन मनके सुध आ आपनेके बसमे राख ताकी तुसब असलसे परथना करे सक।