18 हम पावल, यि गोरलगी आपने हाथसे लिखैचियौ। हम जहलमे परलचियौ से बात नै बिसर। परमेस्वरके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
पावलके बोल्लहा बात यि चिठी लिखैबला हम तरतियसके तरफसे परभुमे तोरासबके गोरलगीछौ।
हमरा आ पुरे मन्डलीके आपन घरमे स्वागत करैबला गायस सेहो तोरासबके गोरलगी कहनेछौ। यि सहरके कोसाध्यक्छ इरास्तस आ अपनासबके भाइ क्वारटस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
हम पावल, आपने हाथसे यि गोरलगी लिखैचियौ।
परभु येसु खिरिस्टके अनुगहर, परमेस्वर पिताके परेम आ पबितर आत्माके संगति तोरासबके सङे हैतरहे।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
खिरिस्टके रहसके बात लोकसबके परचार करैले परमेस्वर केबार उघाइरदेबे कैहके हमरासबके लेल सेहो परथना कर। अहै रहसके परचार करैके कारनसे हम जहलमे परल चियै।
हम पावल आपने हाथसे गोरलगी लिखके पठाइचियौ। हमर सब चिठीके चिन्हैबला चेन्हा इहे चियौ। हम अहिनङेके लिखैचियै।
कथिलेकी एहेन बातसबके पाछु लाइगके कतहेक लोक बिस्बाससे दुर भेलछै। तोरासबके सङे परमेस्वरके अनुगरह रहे।
तै खातिर आपनौरके परभुके गबाही दैले लाज नै मान आ हम ओकरलेल जहलमे परलियै से बात सोइचके लाज नै मान। महज परमेस्वरके सक्तीमे सुसमाचार सुनाइबला कामके लेल दुख भोगैले तु हमरसङे सामेल हो।
परभु तोहर आत्मामे बास करैत रहे। तोरासबके उपर परमेस्वरके अनुगरह बनल रहे।
अते हमरसङे भेल सब लोकसब तोरा गोरलगी पठाइनेछौ। हमरासबके परेम करैबला ओते भेल खिरिस्टीयन भाइ-भैयासबके सेहो गोरलगी कैहदहै। परमेस्वरके अनुगरह तोरा आ औरो सब गोरासङे रहे।
परमेस्वरके अनुगरह तोरासबसङे रहे। आमेन।
तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।