16 तुसब यि चिठी पैरहलेलाके बाद लाउडिकियामे भेल मन्डलियोके परहैले दहै। तैहनङे कैरके लाउडिकियाके चिठी सेहो तुसब परिहे।
हम तोरासबके लेल, लाउडिकियामे रहल मन्डलीके लेल आ हमर मुहो नै देखने बिस्बासीसबके लेल मैर-मैरके काम करनेचियै से बात तुसब जान कैहके हमर इक्छाछै।
उ तोरासबके खातिर, लाउडिकिया आ हिरापोलिसके लोकसबके खातिर बहौत मेहनत करनेछौ। हम यि बातके गबाही चियौ।
लाउडिकिया सहरमे भेल बिस्बासी भाइसबके, नुम्फासके आ ओकर घरमे जमा हैबला मन्डलीके हमर गोरलगी सुन्यादहै।
यि चिठी पैर्हके सब बिस्बासीके सुनादहै कैहके हम तोरासबके परभुके नाउमे आग्या करैचियौ।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।