4 तोरासबके साँचोके जिबन त खिरिस्टे चियौ। जखैन उ परगट हेतौ तखैन तुसब ओकरे महिमामे परगट हेब्ही।
तब धरमी लोकसब आपन पिताके राजमे सुरुज जखा चम्कतै। जकरा कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।
मानबके बेटा परगट हैबला दिनमे ऐहनङे हेतौ।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
अहिनङे जिबन दैबलाके तुसब मारलिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै। हमसब यि बातके गबाही चियौ।
हमर बिचारमे अइ जिबनमे अपनासबके भोगल दुख अपनासबमे पछा परकट हैबला महिमासे तुलना करतै त, अखुनके दुख त ओइके अगा किछो नै चियै।
परमेस्वर आपन बेटा-बेटीसबके परकट करैबला दिनके सारा सिरिस्टी भारी उतसुकताके साथ असियालछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट फेनसे एतै कैहके बाट ताकैतखिना तोरासबमे कोनो आत्मिक बरदानके कमी नै हेतौ।
अनादरमे उ गारल जाइछै महज महिमामे जिबित हैछै। कमजोरीमे उ गारल जाइछै महज सक्तीमे जिबित हैछै।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।
तब हमसब जिबित भेल्हासब परभुके अकासमे भेटैले ओइसबके सङे-सङे बादलमे उठ्याल ज्याब आ सबदिन हमसब परभुसङे रहब।
आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक सुध मनसे ओकर आग्यापालन कर ताकि तोरा कोइयो नै दोस लगाबे।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टमे चुनल परेरित चियै। येसु खिरिस्टमे भेल अनन्त जिबनके परतिग्या सुनाइके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
आब त परमेस्वर हमर खातिर धारमिकताके मुकुट राखनेछै। जे पुरस्कार धारमिकताके नियाय करैबला परभु ओइ दिन हमरा देतै, उ हमरा मातरे नै महज जेसब तन-मनसे ओकर आबैबला बाट ताकैछै ओइसबके लग्यादेतै।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
जब परधान चरबाहा परगट हेतै, तब तुसब सबदिन चम्कैबला मुकुट पाबबिही जकर सोभा कहियो नै घटतौ।
हमर धियापुतासब, खिरिस्टमे रह आ जहिया उ परगट हेतौ, तहिया तोरासबके साहस मिल्तौ तब ओकर आबैबला ओइ दिन ओकर अगा लाजमे नै परबिही।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।
जकरसङे परमेस्वरके बेटा छै, ओकरसङे जिबन छै आ जकरसङे परमेस्वरके बेटा नै छै ओकरसङे जिबन नै छै।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
जकरा कान छै, से पबितर आत्मा मन्डलीसबके कथी कहैछै से बात सुने। जे जित्तै ओकरा परमेस्वरके स्वरगलोकमे भेल जिबन दैबला गाछिके फल खाइले देबै।’”
तकरबाद स्वरगदुत हमरा इस्फटिक जखा चमकदार जिबनके पानीके लदी देखल्कै। उ लदी परमेस्वर आ थुमाके सिंहासनसे निकैलके,
उसब धैनके चियै, जे आपन बस्तर धोइबके साफ करैछै। उसब जिबनके गाछके फल खाइले आ ओइ सहरके देहरीसे भितर जाइले पाबतै।