19 हे घरबलासब, तुसब आपन घरबालीसबके परेम कर आ ओकरासबसङे कठोर बेबहार नै कर।
“हमर पछा आबैबला आपन माँ-बाबु, घरबाली, बेटा-बेटी, भैया-भाइ, दिदी-बहिनसबके आ आपन परानके हमरसे बेसी परेम करैछै त, उ हमर चेला नै बने सक्तै।
“उसब आपन मुहसे सराप आ तित बात बोलैछै।”
मनमे खराब बात नै ले, झै-झगरा आ रिस नै कर। अपमान करैबला बात नै बोल, सब किसिमके दुस्मनी त्यागदहै।
हे घरबलासब, आपन घरबालीसबके परेम कर, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके परेम करल्कै आ आपन जिबन अरपन करल्कै।
चाहे जे हेबे, तुसब आपन-आपन घरबालीसबके आपने जखा परेम करे परतौ आ घरबालीयोसब आपन-आपन घरबलाके आदर करे परतौ।
हौ बाबुसब, अहाँसब आपन धियापुतासबके रिस नै उठाब, नै त उसब निरास हेतै।
महज यदि तोरासबके मनमे जरनी आ स्वारथ छौ त आपन बुइधमे घमन्ड नै कर आ सतके झुठ नै बना।
तहिनङे घरबलासब, आपन-आपन घरबालीसबसङे बिचारसिल भ्याके रह आ ओइसबके अबला माइनके आदर कर। मनमे याद राख कि तोहरे जखा अनन्त जिबनके बरदानमे सहभागी छौ। अनङ करबिही त तोरासबके परथनामे कोनो किसिमके बाधा नै परतौ।