11 तैखातिर अते गिरिक या यहुदी, देहमे खतना करल आ नै करल, असभ्य, असिक्छित, दास या स्वतन्तर ककरो कोनो भेदभाव नै छै महज खिरिस्टे सब चिज चियै आ सबमे बास करैछै।
येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “जे हमरा परेम करैछै, से हमर बचन पालन करैछै। हमर पिता ओकरा परेम करतै तब हमर पिता आ हम ओकरलग ज्याके ओकरसङे रहब।
“अङगुरके लती हम्ही चियौ, तुसब ठाइर चिही। यदी कोइ हमरमे रहतै आ हम ओकरमे रहबै त, उ बहौत फल फराइतै, कथिलेकी हमरसे अलग रैहके तुसब कुछो करैले नै सकबिही।
हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।
बाकी लोकसब हमरा खोजौक अरथात आनोजातके लोकसब परमपरभुके खोजौक, जेकरासबके हम अहिलेल बोलेलियै जे उसब हमर लोकसब बने।’
ओतेका निबासी लोकसब एकदम हमरासबके दया देखेल्कै। ओहै बखत पानी पैररहल छेलै आ जार हेबे लाग्लै, तब उसब हमरासबके लेल आइग बाइरके तापैले बोल्याके स्वागत करल्कै।
ओतेका लोकसब पावलके हाथमे साँप ओझराल देखके एकदोसरसे कहेलाग्लै, “यि लोक पक्का हतियारा चियै, अइमे कोनो संखा नै छै। समुन्दरसे त बैचके चैलएलै महज नियाय निसाफसे दुर नै रहलै।”
कथिलेत सभ्य हेबे या असभ्य, सिक्छित हेबे या असिक्छित, सबके सुसमाचार सुनाबैले हमरा कर लागलछै।
यहुदी आ गैर-यहुदी जातीमे कोनो फरक नै छै। उसबके एके परभु चियै आ ओकरा पुकारैबलासबके उ परसस्त कैरके आसिस दैछै।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।
कि परमेस्वर यहुदीसबके मातरे परमेस्वर चियै? कि परमेस्वर गैर-यहुदीसबके परमेस्वर नै चियै से? साँचे, उ त सबके परमेस्वर चियै।
हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्वतन्तर, सबकोइ एके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्मा देनेछै।
यदि हम ककरो भसा नै बुझैचियै त, ओकरलेल हम परदेसी जखा हेबै आ उ हमर लेल परदेसी जखा हेतै।
कथिलेत खतना करनाइ या नै करनाइ बरका बात नै चियै, महज परमेस्वरके आग्यापालन करनाइ सबसे बरका बात चियै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै, एह्या देह सब बातसे भरल ओकर पुरा रुप चियै।
खिरिस्टे अपनासबके सान्ती चियै कथिलेत उ यहुदी आ गैर-यहुदी बिचके दुसमनीके दबाल तोइरके एक बनाइल्कै।
उ यहुदी आ गैर-यहुदीसबके सान्ती दैले आ ओकरमे लबका जाती बनाइले कुरूसमे मैरके बेबस्था आ नियमके रध करल्कै,
तुसब बिस्बास करलासे खिरिस्ट तोरासबके हिरदयमे बास करतौ आ ओकर परेममे तोरासबके जैर बरहैत आ बलगर हैत ज्या कैहके हम परथना करैचियौ।
उ रहसके बात एह्या चियै कि, गैर-यहुदीयोसब सुसमाचारसे परमेस्वरके आसिस पाबैले सक्तै। उसब एक देहके अङसब आ खिरिस्ट येसुमे परमेस्वरके करल परतिग्याके साझेदार भेल छै।
यि बात तोरासबके थाहे छौ, चाहे दास हेबे आ चाहे स्वतन्तर हेबे, असल काम करैबला सबके परभु इनाम दैछै।
खिरिस्टमे तोरासबके जिबन पुरा भेलछौ। वह्या सब सासन आ अधिकारके सिर चियै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
खिरिस्टके सिक्छासे बाहर जाइबला लोकसङे परमेस्वर नै रहैछै, महज ओकर सिक्छामे चलैबला लोकसङे परमेस्वर पिता आ बेटा दुनु रहैछै।