20 तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?
यदी तुसब अइ सन्सारके रहतिही त, सन्सारके लोकसब तोरा आपन कैहके परेम करतियौ। महज तुसब अइ सन्सारके नै चिही। हम तोरासबके सन्सारसे चुनलियौ, ओहैसे अइ सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना करैछौ।
कथिलेत हमसब सन्सारमे चियै तैयो सन्सारके लोकसब जखा हमसब आपन सतरुसबसङे लराइ-झगरा नै करैचियै।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।
उ यहुदी आ गैर-यहुदीसबके सान्ती दैले आ ओकरमे लबका जाती बनाइले कुरूसमे मैरके बेबस्था आ नियमके रध करल्कै,
उ अपनासबके बिरोधमे लिखल सब तमसुक आ दाबीसब सङे रद कैरदेल्कै आ कुरूसमे किला ठोइकके नास कैरदेल्कै।
अहै खातिर खान-पिन या पाबैनके दिन या अमसियाके दिन कि पबितर बिसराम दिन मानैके बिसयमे कोइ दोस लगाइछौ त, ओहेन बातसबमे धियाने नै लगा।
आब तुसब “यि चलाइले नै मिल्तौ, यि छुबैले नै मिल्तौ, चिखैले नै मिलतौ” कहैबला सन्सारके नियमसब नै मानैले परतौ।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
कथिलेत तोरासबके पुरन्का जिबन मरलछौ आ तोरासबके लया जिबन खिरिस्टसङे परमेस्वरमे घोसरलछौ।
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ पुरे सन्सार दुस्ट सैतानेके बन्धनमे छै कैहके अपनासब जानैचियै।