17 यि सब पछा आबैबला बातसबके छाह मातरे छेलै महज बास्तबिक बात त खिरिस्टे चियै।
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
मोसाके बेबस्था आबैबला उतम बातसबके खास रुप नै चियै, महज उ त छाह मातरे चियै। ओहैसे साले-साल चरहाइबला एके किसिमके बलीसे परमेस्वरके लग आबैबला लोकसबके सिध करैले नै सक्तै।
ओइसबके करैबला काम त स्वरगमे भेल बातके नकल आ छाह मातरे चियै। कथिलेत मोसा पबितर पाल बनाइ बखत परमेस्वरसे एहेन आग्या पाबने छेलै, “देख, पहारमे तोरा देख्याल नमुना बमोजिम तु सबचिज बनाइहे।”
यि त अखुनके समयमे अपनासबके देखैबला एकटा नमुना मातरे चियै। परमेस्वरके चरहाबैबला भेटी आ बलीसबसे आराधना करैबला लोकसबके हिरदय सुध करैले नै सक्तै।