1 हम तोरासबके लेल, लाउडिकियामे रहल मन्डलीके लेल आ हमर मुहो नै देखने बिस्बासीसबके लेल मैर-मैरके काम करनेचियै से बात तुसब जान कैहके हमर इक्छाछै।
ओकर हिरदय एकदम दुखसे भरल छेलै, तब उ धियानसे परथना करे लाग्लै, तै बखत ओकर पसिना लहुके बरका-बरका ठोप जखा भुइयामे चुबै छेलै।
आब देख, हम जानैचियै कि, अहाँसब मेसे जकर-जकर बिचमे परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैत घुमलियै, आब फेनो तुसब हमर मुह कहियो नै देखबिही।
ओइसबके सबसे बेसी यि बातके दुख छेलै कि, “आबसे फेनो हमर मुह तुसब देखे नै पाबबिही।” तब ओकरा पानी जहादतक पहुचादेल्कै।
हमर धियापुतासब, तोरासबमे जाबे तलिक खिरिस्टके स्वभाब नै बन्तौ ताबे तलिक हम फेनो जलमासोचके पिरा जखा दुख सहैत रहबौ।
जे दुख कस्ट हमरमे देखलिही आ हमरसङे छै कैहके सुनैचिही, वह्या दुख कस्टमे तुसब हमरसङे चिही।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
खिरिस्टके महान सक्तीमे भर पैरके यि काम हम एकदम मेहनतसे करैचियै।
कथिलेत हम देहमे तोरासबसे दुर चियौ तैयो आत्मामे त तोरेसबसङे चियौ। खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास एकदम अस्थिर भेल देखके हम बहुत खुसी भेलचियौ।
तोरासबलग आबैसे पहिने हमसब फिलिप्पी सहरमे कनङके दुख भोगलियै आ अपमानित भेलियै से तोरासबके थाहे छौ। तैयो बहौत गोरा बिरोधी रहितोपरभी परमेस्वरमे साहस कैरके हमसब तोरासबके सुसमाचार सुनेलियौ।
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”