25 परमेस्वर हमरा तोरासबके भलाइके खातिर सेबक बनाइनेछै आ ओकर बचन पुरा-पुरी परचार करैके जिम्मा देनेछै।
अपोल्लोस के चियै? आ पावल के चियै? हमसब त परमेस्वरके खट्याल सेबकसब मातरे चियै, जकरसे तुसब बिस्बास करलिही। हमसब त परभुके खट्याल काम मातरे करैचियै।
यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै।
तोरासबके लेल हम परमेस्वरके अनुगरहके काम करैले जिम्मा पाबनेचियै से बात तुसब सुन्नेचिही।
परमेस्वरके बरदानसे हम सुसमाचार परचार करैबला सेबक भेलियै, यि बरदान उ आपन सक्तीके काम अनुसार हमरा देल्कै।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
आ तिमोथीके तोरासबलग पठेलियौ। उ हमरासबके भाइ आ परमेस्वरके सेबक चियै आ खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैछै। तोरासबके बिस्बासमे बलगर हैले आ हौसला दैकेलेल हमसब तोरासबलग ओकरा पठेलियौ।
यदी तु यि सिक्छा औरो बिस्बासी जनसबके सिखाइबिही त, तु पालन करैत एल सिदान्त आ बिस्बासके बचनमे बौकार भ्याके येसु खिरिस्टके असल सेबक हेब्ही।