17 वह्या सब चिज सिरिस्टी हैसे पहिनेसे छेलै आ ओकरेमे सब चिज अरल छै।
हे पिता, सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँसङे हमर जे महिमा छेलै, ओह्या महिमासे आब अहाँके अगा हमरा महिमीत करु।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, अबराहमके जलमसे पहिनेसे हम चियै।”
कथिलेत अपनासब ओकरे नामसे जियैचियै, ओकरे नाममे आनन्द करैचियै आ ओकरेमे अपनासबके जिबन छै। अहै बारेमे अहाँसबके एकटा कबियो कहनेछै, ‘साँचोके अपनासब ओकरे धियापुता चियै।’
महज हमसब जानैचियै कि, अपनासबके एक मातरे परमेस्वर पिता छै, जकरसे सब चिजके सिरिस्टी भेलै आ हमसब ओकरे लेल जियैचियै। अपनासबके थाहछै कि, अपनासबके एक मातरे परभु, येसु खिरिस्ट छै। ओकरेसे सबकुछ सिरिस्टी भेलै आ जकरसे हमसब जियैचियै।
खिरिस्ट त नै देखैबला परमेस्वरके देखैबला रुप चियै। उ सारा सिरिस्टीके उपर अधिकार करैछै।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
ओकरा देखके हम मरल जखा भेलियै आ ओकर टाङमे खैस परलियै। तखन उ हमर मुरमे दहिना हाथ राखैत कहल्कै, “नै डेरा, सुरु आ अन्त हम्ही चियै।
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।
“इस्मुरनामे भेल मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘जे सुरु आ अन्त चियै, उ मरियोके जिबित हैबला अनङ कहैछै।