येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
महज समय आइबरहल छै आ समय एह्या चियै। साँचोके आराधना करैबलासब पबितर आत्माके अगुवाइमे आ सत बात अनुसार पिताके आराधना करतै। कथिलेत अहिनङे आराधना करैबलासबके आपन आराधना करैले ताकैछै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।