34 पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
तब येसु आपन हाथ अगा बरहाके छुबल्कै आ कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु सुध भ्याजो।” उ तखुन्ते कोढि-कुस्टीसे सुध भेलै।
महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्कै, “उठ, तोहर बोरिया-बिस्तर बोक आ घर जो।”
अहिनङे येसु सबसे पहिन्का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्कै। उ आपन महिमा परगट करल्कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै।
उ छौरी बहौत दिनतक ओहिनङ करैत रहलै। बादमे पावल एक दिन दिक्क भ्यागेलै तब ओकर दिसन घुइमके भुत आत्माके कहल्कै, “हम येसु खिरिस्टके नाममे हम तोरा आग्या दैचियौ, तु यि छौरीसे निकैलके चैलजो।” पावल यि बात कहैत मातर उ भुत आत्मा ओइ छौरीसे निकैलके चैलगेलै।
यि देखके पतरुस ओइ लोकसबके कहल्कै, “हे इजराएलके लोकसब, यि बातमे अहाँसब कथिले अचम मानैचियै? हमसब आपन सक्तीसे आ भक्तिसे ओकरा चलफिर कराइले सकैबला जखा कथिले ताकैचियै?
येसुके सक्तिसे आ ओकर नाममे बिस्बास करलासे यि लोक निक भेलै जकरा देखरहलचिही आ चिन्हबो करैचिही। येसुमे करल बिस्बासके कारन यि लोक तोरौरके सबके सामने निक भेलौ।
तब पतरुस कहल्कै, “सोना चानी त हमरसङे नै छै, महज जे हमरसङे छै, ओह्या हम तोरा देबौ। नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे उइठके चल!”
तौरौरके सबकोइ आ इजराएलके सब लोकसबके थाह हेबे, कि तोरेसबके अगा येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ परमेस्वर मरलसे जिबित करल्कै, ओह्या नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे यि लोक तोरासबके अगामे निक भ्याके ठारभेल छौ।
ओते उ एनियास नाम भेल्हा लोकके भेटलै। जे आठ बरिससे लकबा मारलाके कारन बिछोनामे परल छेलै।
लुड्डा आ सारोनमे रहैबला सबलोक ओकरा देखके परभु येसुमे बिस्बास कैरके ओकर देख्याल रस्तामे चलेलाग्लै।