32 पतरुस अने-ओने घुमैत-फिरैत लुड्डा नामके सहरमे परभुमे बिस्बास करैबलासबके लग भेट करैले एलै।
चिहानके मुहसब उघरलै आ परमेस्वरके बहुतो सेबकसब मुरदासे जिबित भ्याके उठलै।
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
हम यरुसलेममे ओहै परकारसे बिरोध करलियै, मुख पुजारीसबके अखतियार पाइबके परमेस्वरमे बिस्बास करैबला लोकसबके जहलमे ढोकलियै आ जब ओइसबके मिरतुदन्ड दैछेलै त हमे ओइसबके बिरोधमे सहमति दैछेलियै।
सामरियाके लोकसब परमेस्वरके बचन गरहन करैछै से बात सुइनके यरुसलेममे रहैबला परेरितसब पतरुस आ युहन्नाके ओते ओइसबलग पठाइल्कै।
पतरुस आ युहन्ना दुनुगोरा परभु येसुके बारेमे जानल आ सुनल बचनसब परचार करल्कै। तब सामरियाके बहौत गामसबमे सुसमाचार परचार करैत यरुसलेम दिसन घुइमके गेलै।
महज हननिया कहल्कै, “परभु, यि लोक यरुसलेममे अहाँके चेलासबके बहौत दुख देनेछै से हम बहौत लोकसबसे सुन्नेचियै।
ओते उ एनियास नाम भेल्हा लोकके भेटलै। जे आठ बरिससे लकबा मारलाके कारन बिछोनामे परल छेलै।
पतरुस तबिताके हाथ पकैरके उठेल्कै। तब बिस्बासीसब आ बिधुवासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके जिते छै कैहके देखेल्कै।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टके परेरित, एफिसस सहरमे रहैबला आ येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला पबितर लोकसबके यि चिठी लिखैचियौ।
हम पावल आ तिमोथी, येसु खिरिस्टके दास, फिलिप्पी सहरमे रहैबला परमेस्वरके पबितर जनसब, मन्डलीके रेख-देख करैबलासब आ डिकनसबके यि चिठी लिखैचियै।