10 दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ऐ हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
एक दिन करनेलियस दिनके तिन बजे परमेस्वरके एकटा स्वरगदुतके दरसनमे अस्पस्ट रुपसे देखल्कै। स्वरगदुत आइबके करनेलियसके कहल्कै, “ऐ करनेलियस।”
पतरुस कहल्कै, “हम योप्पा सहरमे परथना करैत ध्यान-मग्न रहियै। तब एकटा बरका तन्ना जखा चारु खुटमे पकैरके स्वरगसे निचा खसैत हम दरसनमे देखलियै आ उ आइबके हमर कातमे ठहरलै।
तब पतरुस जहलसे निकैलके ओकर पछा-पछा गेलै। यदी स्वरगदुतके करल बात साँचोके चियै से ओकरा थाहे नै भेलै। महज उ दरसन देखैचियै से समझल्कै।
जब पावलके यि दरसन भेलै, तुरन्ते हमरौरके माकेडोनिया जाइले तैयार भेलियै। कथिलेत हमरौरके थाह भेलै कि ओतेका लोकसबके सुसमाचार परचार करैले परमेस्वर हमरौरके बोलाइनेछै।
ओहै रात पावल एकटा दरसन देखल्कै। जैमे माकेडोनिया इलाकाके एकटा लोक “दया कैरके माकेडोनिया आबु आ हमरौरके सहायता करु” कैहके बिन्ती करैतरहै।
एक रात परभु पावलके दरसन दैत कहल्कै, “ककरोसे नै डेरा, चुप-चाप नै रह, सुसमाचार परचार करैतरह।
परमेस्वर कहैछै, ‘अन्तके दिनमे हमसब लोकसबके आपन आत्मा परसस्त कैरके देबै, तोहर बेटासब आ बेटीसब अगमबानी बोल्तौ आ तोरौरके जबानसब दरसन देख्तै आ बुढवासब सपना देख्तै।
“दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरे हमरसे भेटघाट करैले एलै। उ मोसाके नियमके पालन करैबला धरमी लोक रहै आ दमस्कसमे रहैबला सब यहुदीसब ओकरा बहुत आदर करैतरहै।
उ फेनसे देखे सकै कैहके दरसनमे हननिया नाम भेल एकटा लोक भितर आइबके आपन उपर हाथ राखैत देखल्कै।”
ओते उ तिन दिनतक कुछो नै देखल्कै, नै कुछो खेल्कै नै कुछो पिल्कै।
जब हम दमस्कस सहरमे छेलियै तब अरितस रजाके बडा-हाकिम हमरा पकरैके लेल सहरके देहरीमे सिपाहीसबके पहरा लगाइल्कै।
हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै।