5 फिलिप सामरियाके एकटा सहरमे ज्याके येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके परचार करे लाग्लै।
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
दोसर दिन बिहान बिदा भ्याके कैसरिया सहरमे एलियै आ सुसमाचार परचारक फिलिपके घरमे रहलियै। खाना बटैबला काममे परेरितसब सेबा करैले छानल्हा सात गोरे मेसे एकगोरा फिलिपो छेलै।
उसब सबदिन मन्दिर आ घर-घरमे ज्याके येसुवे खिरिस्ट चियै से कैहके सिक्छा दैले आ परचार करैले नै छोरल्कै।
यि बिचार सुइनके सबकोइके असल लाग्लै आ सबकोइ खुसी भेलै, उसबमेसे स्तिफनस जे पबितर आत्मा आ बिस्बाससे भरपुर छेलै आ फिलिप, परखरस, निकनोर, तिमोन, परमिनास आ पहिने एन्टिओखियाके यहुदी धरम मानैबला निकोलाउसके सेहो छानल्कै।
ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्डलीके बिस्बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै।
परमेस्वरके एकटा स्वरगदुत फिलिपके कहल्कै, “तु अतेसे दछिन मुहे यरुसलेमसे गाजा दिसन जाइबला रस्तामे जो। यि उजार जगहके रस्ता चियै।”
तब फिलिप दौरके ओइ रथ लग गेलै आ ओकरा यसैया अगमबक्ताके किताब परहैत सुइनके पुछल्कै, “अहाँ जे पैढ़रहलचियै से बुझैचियै?”
ओने फिलिप आपने अस्दोद सहरमे पुगल थाह पाबल्कै। ओतेसे अगा उ कैसरिया नै पहुचै तक सब सहरसबमे सुसमाचार सुनाइत गेलै।
फिलिपके परचार करैबला बचनके बात सुइनके आ ओकर करल आस्चरजके कामसब देखके, भिरके सब लोकसब एक चित भ्याके ओकर बातमे धियान देबे लाग्लै।
तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करे लाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।”
महज हमसब त कुरूसमे टाङल खिरिस्टेके परचार करैचियै, जे यहुदी लोकसबके लेल ठेस लागैबला बात चियै आ गैर-यहुदीसबके लेल मुरुख बात चियै।
हम तोरासबके लग रहैतखिना येसु खिरिस्ट आ कुरूसमे भेल ओकर बलिदान बाहेक किछो नै बोलैके पक्का करनेछेलियै।
कथिलेत परमेस्वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्तै।