38 यि बात कैहके रथ रोकेल्कै। दुनुगोरा उतैरके पानीमे गेलै आ फिलिप ओकरा बप्तिस्मा देल्कै।
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
येसु युहन्नासे बेसी चेलासब बनाइछै आ बप्तिस्मा दैछै से बात फरिसीसब सुन्नेछै कैहके येसु जानल्कै।
[फिलिप जबाब देल्कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्बास करैचियै त बप्तिस्मा ल्यासकैचियै।” उ कहल्कै, “हम बिस्बास करैचियै जे येसु खिरिस्टे परमेस्वरके बेटा चियै।”]
महज जब उसब पानीसे बाहर निकललै तखुन्ते परभुके आत्मा फिलिपके दोसर जगह ल्यागेलै आ उ मुन्सी फिलिपके फेनो नै देखल्कै। उ खुसीसे गद-गद हैत आपन बाटमे बरहैत गेलै।