34 तब उ नपुन्सक फिलिपके पुछल्कै, “किरपा कैरके हमरा कहु, अगमबक्ता यि ककर बारेमे कहनेछै, उ आपने बारेमे कि औरो कोनो दोसरके बारेमे?”
तकरबाद येसु भिर लागल लोकसबके छोइरके घरमे चैलगेलै। चेलासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “हमरासबके झरके खिसाके अरथ बुझादिय।”
तकरबाद पतरुस येसुके कहल्कै, “अहाँ असुध करैके बारेमे कहलहा बात हमरासबके बुझादिय।”
तब फिलिप उइठके गेलै आ उ इथियोपिया देसके एकटा नपुन्सकके भेटलै। जे इथियोपिया देसके महरानी कनदाकीके बडा हाकिम रहै जे पुरे सम्पतिके रेखदेख करै। उ आराधना करैले यरुसलेम गेल रहै।
ओकर अपमान भेलै आ ओकरा सहि नियाइ नै भेटलै। ओकर धियापुताके बरनन के करतै? कथिलेत ओकर जिबन सन्सारसे उइठगेलै।”
तब फिलिप पबितर धरमसास्तरके एह्या पाठसे सुरु कैरके ओकरा येसुके सुसमाचार सुनाइल्कै।