20 महज पतरुस कहल्कै, “सत्यानास हेबे तु आ तोहर पैसा-कौरी, कथिलेत परमेस्वरके बरदान रुपैया-पैसासे किने मिल्तै से बिचार करलिही।
रोगी-बिमारीसबके निक कर, मरलहासबके जिबित कर, कोढि-कुस्टीसबके सुध कर, भुत आत्मासबके निकाल। जहिनङे तुसब मङनिएमे पाबलिही तहिनङे मङनिएमे दहै।
कथिलेत हिरदयेसे खराब बिचार, हतिया, पर-इस्तरी गमन, अनैतिक देहके समबन्ध, चोरी, झुठा गबाही आ निन्दा करैबला बातसब बाहर निकलैछै।
उ लोक अधरमके कमाइसे एकटा खेत किनल्कै। उ ओहै खेतमे मुहचुरिये खैसके मैरगेलै आ ओकर पेट फुइटके सब भोटी आंटी बाहर निकैल गेलै।
परमेस्वर आपन पबितर आत्मा गैर-यहुदीके लोकसब उपर भरैत देखके पतरुस सङे एल्हा यहुदी बिस्बासीसब छक्क परलै।
हमसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै आ परमेस्वरसे पबितर आत्मा पाबलियै। तैहनङे ओहोसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ ओकरसे पबितर आत्मा पाबल्कै। अहिनङे परमेस्वर आपनेसे पबितर आत्मा दैछै त ओकरा रोके सकैबला हम के चियै?”
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
आ कहल्कै, “यि सक्ती हमरो दिय जैसे हम्हु ककरो उपरमे हाथ राखबै त उ पबितर आत्मा पाबतै।”
आब तु आपन भरस्ट मनके लेल पस्चाताप कर आ परभुसे परथना कर, भ्या सकैछौ त तोहर मनके एहेन बिचार देखके छमा कैरदेतौ।
महज धनिक हैले चाहैबला परिक्छामे परैछै। उ बेरथ आ खराब इक्छासबमे फैस जाइछै। ओहे खराब इक्छा ओकरा दुख आ बिनासमे लजाइछै।
सोना-चानीमे बिज लाइग गेल्छौ। एह्या बिज तोरासबके बिरोधमे गबाही देतौ आ आइगके जखा तोरासबके देहके जराइतौ। यि जुगके अन्तके दिनमे तुसब धन-सम्पैतके ढेरी लगाइनेचिही।
जे बेपारीसब उ सहरके कारन धनिक भेल छेलै उसब ओकर कस्ट देखके डरसे दुरे ठार भ्याके एहेन कहैत जोरसे कान्तै आ सोक करैत,