2 परमेस्वरके भक्तसब स्तिफनसके लहासके लज्याके गार देल्कै आ ओकरलेल बहौत सोक करल्कै।
जब युहन्नाके चेलासब यि बात सुनल्कै तब उसब आइबके ओकर लहास उठाके चिहानमे गारल्कै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
ओइ बखत सन्सारके सब देसके यहुदी धरमी लोकसब यरुसलेममे रहैत रहै।
ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्डलीके बिस्बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै।
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।