16 कथिलेत तखुन तक ओकरासबमेसे कोइ नै पबितर आत्मा पाबने रहै। उसब मातरे परभु येसुके नाममे बप्तिस्मा लेने रहै।
तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।
उ ओकरासबके पुछल्कै, “कि तुसब परभुमे बिस्बास कैरके पबितर आत्मा पाबलिही?” तब उसब कहल्कै, “नै, हमसब त सुनन्हु नै चियै कि पबितर आत्मा हैछै।”
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
अपनासब येसु खिरिस्टमे बप्तिस्मा लैतखिना ओकरेसङे एक भ्याके मरलियै कैहके कि तोरासबके थाह नै छौ?
तोरासबमेसे जतहेक गोरे खिरिस्टमे बप्तिस्मा लेनेचिही, तु सबकोइ खिरिस्टके धारन करनेचिही।