36 ओह्या लोक मिसरदेसमे, लाल समुन्दरमे आ चालिस बरिसतक उजार जगहमे चमत्कारी काम आ चेन्हासब देख्याके ओइसबके मिसरदेससे बाहर निकालके आनल्कै।
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
चालिस बरिसतक उजार जगहमे परमेस्वर ओइसबके देखभाल करल्कै।
महज अहै कारन परमेस्वर ओइसबके छोइरदेल्कै, ‘ओइसबके अकासके सुरुज, चान आ तरासबके पुजा करैले छोइरदेल्कै। अहै बिसयमे परमेस्वरके अगमबक्तासबके किताबमे लिखल छै, हे इजराएलके लोकसब, कि तुसब चालिस बरिसतक उजार जगहमे हमरा बैलभोग आ चरहौवासब देल्ही?
उजार जगहमे तोरासबके पुरखा परमेस्वरके बिरोध कैरके जाँचल जखा, तुसब आपन मन कठोर नै बना।
ओते तोरासबके पुरखासब चालिस बरिसतक हमर करल काम देखल्कै, तैयो उसब हमर बिरोध करल्कै आ हमरा जाँचल्कै।
यि करार ओइसबके पिता पुरखा जरे बान्हल करार जखा नै हेतै, जब हम ओइसबके हाथ पकैरके मिसर देससे निकाइलके आनलियै।’ परमपरभु कहल्कै, ‘उसब हमरसे बान्हल करारके भङ करल्कै, अहैकारनसे हम ओइसबके वास्ता नै करलियै।’