32 ‘हम तोहर पुरखासबके परमेस्वर- अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर चियौ।’ तब मोसा डरसे थरथर कापे लाग्लै आ ओकरा ओने ताकैके साहस नै भेलै।
जब चेलासब यि बात सुनल्कै तब डरके मारे मुरी गोइत लेल्कै।
उ कहनेछै, ‘हम अबराहमके परमेस्वर, इसहाकके परमेस्वर आ याकुबके परमेस्वर चियै।’ उ मरलसबके नै बल्की जिबितसबके परमेस्वर चियै।”
कोइ जबाफ नै दैले सकल्कै। तब ओहै दिनसे कोइ येसुके कुछो पुछैले साहस नै करल्कै।
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
यि देखके मोसाके आस्चरज लाग्लै, जब देखैले नजदिक गेलै तब परमपरभुके एहेन अबाज सुनल्कै,
महज उसब त ओहौसे सुन्दर, अरथात एकटा स्वरगके देसके इक्छा करने छेलै। अहैलेल परमेस्वर “हम ओइसबके परमेस्वर हेबै” कहैले नै लजाइछै, कथिलेकी ओइसबके लेल एकटा सहर तयार करने छै।
ओकरा देखके हम मरल जखा भेलियै आ ओकर टाङमे खैस परलियै। तखन उ हमर मुरमे दहिना हाथ राखैत कहल्कै, “नै डेरा, सुरु आ अन्त हम्ही चियै।