1 तब परधान पुजारी स्तिफनके पुछल्कै, “कि यि सब बात साँचोके चियौ?”
महासभामे बैठल उ सब लोकसब स्तिफनस दिसन गौरसे ताकल्कै त ओकर चेहरा स्वरगदुत जखा देखल्कै।
स्तिफनस जबाब दैत कहल्कै, “हे हमर बाबु आ भाइ-भैयारीसब, सुनु। महिमाके परमेस्वर अपनासबके पुरखा अबराहम हारानमे बास करैसे पैहने जखुन मेसोपोटामियामे रहै तखुन दरसन देने छेलै,