8 स्तिफनस परमेस्वरके किरपा आ सक्तीसे भरपुर भ्याके लोकसबके बिचमे बरका-बरका अचमके काम आ चेन्हासब देखेल्कै।
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
महज स्तिफनसके बोलैत खिना पबितर आत्मा अतहेक निक बुइध देल्कै कि उसब ओकर सामने नै टिके सक्लै।
महासभामे बैठल उ सब लोकसब स्तिफनस दिसन गौरसे ताकल्कै त ओकर चेहरा स्वरगदुत जखा देखल्कै।
तहैले हौ भाइसब, तोरासबमेसे पबितर आत्मासे भरल, असल बुइधके आ आदर पाबैबला सातटा लोक छान जकरा अपनासब यि कामके जिम्मा देबै।
यि बिचार सुइनके सबकोइके असल लाग्लै आ सबकोइ खुसी भेलै, उसबमेसे स्तिफनस जे पबितर आत्मा आ बिस्बाससे भरपुर छेलै आ फिलिप, परखरस, निकनोर, तिमोन, परमिनास आ पहिने एन्टिओखियाके यहुदी धरम मानैबला निकोलाउसके सेहो छानल्कै।
महज उ पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके एकटक लग्याके स्वरग दिसन ताकल्कै, ओते उ परमेस्वरके इजोत चम्कैत आ परमेस्वरके देहनाकता येसुके ठारभेल देखल्कै।
फिलिपके परचार करैबला बचनके बात सुइनके आ ओकर करल आस्चरजके कामसब देखके, भिरके सब लोकसब एक चित भ्याके ओकर बातमे धियान देबे लाग्लै।
वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
जे डिकन मन्डलीमे निकसे रेख-देख करतै, से एकदमसे आदर पाबतै आ येसु खिरिस्टमे करल आपन बिस्बासके बारेमे निडर भ्याके औरो लोकसबके कहैके लेल बरका साहस पाबतै।