12 तब अहिनङे उसब जनताके, धरमगुरुके आ अगुवासबके बहकेल्कै, उसब मिलके स्तिफनसके पकैरके महासभामे आनल्कै।
येसुके पकरैबलासब ओकरा परधान पुजारी कैयाफालग ल्यागेलै। ओते धरमगुरुसब आ अगुवासब जमा भेल छेलै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
एक दिन मन्दिरमे येसु लोकसबके सिक्छा दैत सुसमाचार सुनाइतरहै, तहै बखत मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै,
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
महज बिस्बास नै करैबला यहुदीसब गैर-यहुदीसबके उस्काके परभुमे बिस्बास करैबला लोकसबके बिरोध करैले लगाइल्कै।
महज जब थेसलोनिकेमे भेल्हा यहुदीसब बेरियोमे पावल परमेस्वरके सुसमाचार परचार करैछै से बात सुनल्कै, तब उसब बेरियामे आइबके हो-हल्ला मचाबैले लाग्लै आ पावलके बिरोध करैले ओतेका लोकसबके उक्साइले लाग्लै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
जब सतमा दिन पुरा हेबे लागल रहै। तब एसिया परदेससे एल कुछ यहुदीसब पावलके मन्दिरमे देखल्कै तखुन्ते उसब लोकसबके भिरके भरकाइल्कै आ पावलके पकरल्कै।
आ परेरितसबके पकैरके सारबजनिक इस्थानिय जहलमे राइखदेल्कै।
उसब परेरितसबके आइनके महासभाके अगामे ठडा करेल्कै आ मुल पुजारीसब ओइसबके पुछल्कै,
तब उसब चुपचाप लोकसबके चरह्या-बरह्याके एहेन कहैले उकसेल्कै, “तुसब कहै जे हमरासबके अकरा मोसा आ परमेस्वरके बिरोधमे बोलैत सुनलियै।”