9 पतरुस फेनो ओकरा कहल्कै, “तुसब दुनुगोरा कनङ परभुके आत्माके जाँचै खातिर एकमत भेल्ही? देख, तोहर घरबलाके गारैबलासब देहरिएमे छौ आ ओहोसब तोरो बोइकके बाहर ल्याजेतौ।”
येसु ओकरा कहल्कै, “लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके जाँच नै कर।’”
तब मालिक ओइ मुन्सीके बोल्याके कहल्कै, ‘तोहर बारेमे हम यि कथी सुनैचियौ? तोहर सब कामके हिसाब हमरा बुझ्हा। आइके बाद तु हमर मुन्सी नै रहबिही।’
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
तब जबानसब उइठके ओकर लहासके कपरासे लपेटल्कै आ बोइकके बाहर लज्याके गाइर देल्कै।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”
बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
अपनासब खिरिस्टके परिक्छा नै करैके चाही, जनङ ओइसबमेसे कतहेक गोरे करल्कै आ साँपसब धैरके मरलै।