5 यि बात सुइनके हननिया भुइयामे खस्लै आ मैरगेलै। यि बात सुनैबला सबकोइके मनमे डर ढुइक गेलै।
आब देख, परभुके हाथ तोहर बिरोधमे उठल छौ। आब अखुन आन्हर हेब्ही आ कुछ समय तु सुरुजके इजोत नै देखबिही।” तब तखुन्ते ओकर आँखमे करिया धुइन लागल जखा लाग्लै आ उ अन्हरागेलै। तब कोइ ओकरा हाथ पकैरके लज्यादेतै कि कैहके उ सहारा ताके लाग्लै।
परेरितसब अचमके काम करैत बहौत चेन्हासब देखेल्कै तब सब लोकसबके हिरदयमे डर उतपन भेलै।
लोकसब तैयो ओइसबके आदर करैत रहलै, महज ओकरासबमेसे ककरो ओइसबसङे सामेल हैके साहस नै भेलै।
तुसब कथी चाहैचिही? हम तोरासबलग अनुसासनके लाठी ल्याके एबौ कि परेम आ नम्र आत्माके साथ एबौ?
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
दोसर बेर तोरासबके बिचमे हैतकाल हम तोरासबके चेताबनी देल जखा आब तोरासबके बिचमे नहियो चियै तैयो चेताबनी दैचियौ। हम फेर एबौ त पहिने पाप करलाहासबके आ औरो ककरो नै छोरबौ।
परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहेन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहेन उत्सुकता छौ। केहेन डाह, केहेन डर, केहेन पियास, केहेन जोस, नियाय हैकेलेल केहेन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही।
तखुन्ते एकटा बरका भुमकौन गेलै आ सहरके दस भाग खैसपरलै। उ भुमकौनसे सात हजार लोक मरलै। बाकी बचलहासब डरसे स्वरगके परमेस्वरके महिमा करल्कै।
यदि कोनो लोक ओकरासबके नास करैले खोज्तै त, ओकरासबके मुहसे आइग निकैलके दुस्मनसबके नास करतै। तहिनङे कोनो लोक ओकरासबके बिगार करैके इक्छा करतै त, उ ओहै किसीमसे मारलजेतै।