30 हमरासबके पितापुरखाके परमेस्वर येसुके मरलसे जियाइल्कै, जकरा तुसब कुरूसमे लटकाके मारने छेल्ही।
उ अबराहम आ ओकर आबैबला पुस्ताके सबदिनके लेल दया देखाइनेछै।”
उ हमर पिता पुरखासबसङे बान्हल पबितर करार याद कैरके हमरासबके दया करने छै।
यहुदिया आ यरुसलेममे ओकर करल कामसबके हमसब साक्छी चियै। उसब ओकरा कुरूसमे लटकाके माइरदेल्कौ।
परमेस्वर येसुके मरलसे जियाके उ यि परतिग्या अपनासबके आ ओकरसबके धियापुताके खातिर पुरा करने छै। जनङ धरमसास्तरके भजनसङगरहके दोसर अध्यायमे लिखल छै, ‘तु हमर बेटा चिही, आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ।’
“अहै येसुके परमेस्वर जिबित करल्कै। यि हम सबकोइ अकर साक्छी चियै।
तकरबाद उ हमरा कहल्कै, ‘अपनासबके पुरखाके परमेस्वर आपन इक्छा अहाँके बुझहाइले, आपन धारमिक सेबकके देखाबैले आ आपन मुहके बात सुनाबैले पहिनेसे अहाँके चुन्नेछै।
तैहनङे परमेस्वर आपन सेबक येसुके ठार कैरके सबसे पहिने अहैसब लग पठेल्कै जैसे उ ओइसबके पापके रस्तासे घुम्याके आसिस देल्कै।”
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।